लेखक परिचय
नाम: डॉ. उमेश मण्डल, जन्म: 31 दिसम्बर 1980, बेरमा, जिला- मधुबनी (बिहार), माता-पिता: श्रीमती रामसखी देवी, श्री जगदीश प्रसाद मण्डल, पत्नी: श्रीमती पुनम मण्डल, सन्तान: पल्लवी मण्डल, तुलसी कुमारी, मानव अनीश मण्डल, शिक्षा: प्रारम्भिक शिक्षा ग्रामीण माहौलमे। बी.ए. (प्रतिष्ठा) 2001 इस्वीमे, एल. एन. जनता कॉलेज- झंझारपुर (मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा) सँ, एम.ए. 2012 इस्वीमे आ राष्ट्रीय पात्रता परीक्षा (NET) 2015 इस्वीमे तथा शोध–पीएच.डी.–‘मैथिली साहित्यमे जगदीश प्रसाद मण्डलक रचनामे परिवर्तनक स्वर’, 2021 इस्वीमे, बी.आर. अम्बेदकर बिहार विश्व विद्यालय- मुजफ्फरपुरसँ। प्रकाशित कृति: (1) निश्तुकी (पद्य संग्रह, 2009), (2) संस्कार गीत (मिथिलाक सभ जाति-धर्मक लोकमे प्रयुक्त मैथिली लोकगीतक सङ्कलन, 2010)। (3) ‘मिथिलाक जीव-जन्तु’, (4) ‘मिथिलाक वनस्पति’ आ (5) ‘मिथिलाक जिनगी’ (डिजिटल सचित्र ऑनलाइन संस्करण, 2011)। (6) विदेह मैथिली लघुकथा संग्रह, (7) विदेह मैथिली बीहनि कथा संग्रह, (8) विदेह मैथिली पद्य संग्रह, (9) विदेह मैथिली प्रबन्ध-निबन्ध समालोचना, (10) विदेह मैथिली नाट्य उत्सव तथा (11) विदेह मैथिली शिशु उत्सव (संग सम्पादन कार्य, 2012 इस्वीमे)। (12) टुटैत मनक जुड़ाव (कथा संग्रह, 2018), (13) पंचदेव (100 खण्ड-ग्रन्थमे, श्री जगदीश प्रसाद मण्डलक बीछल कथाक सङ्कलन, 2018), (14) भारतीय मुसलमान आ भारतीयता (हिन्दीसँ मैथिलीमे अनुवाद, 2018, मूल लेखक- श्री गीतेश शर्मा), (15) दुध-पानि फराक-फराक (कथा-पाण्डुलिपि-छाया-संस्करण, 2018), (16) देवाश्रम (35 खण्ड-ग्रन्थ, विचारोत्तेजक पाम्फलेट सङ्कलन, 2019), (17) मुक्तपुरुष (शोध आलेखक संग्रह, 2021)। (18) हेन्डबुक सँ फेसबुक धरि (2021), (19) समस्या सँ समाधान धरि (2022), (20) निर्विकल्प (2022), (21) अभ्यन्तर (2022), (22) जेतए ने जाए कवि ओतए जाए अनुभवी (2022) तथा (23) कियो करए आप-ले माए-ले ने बाप-ले (2023)- विचारशील गद्यांश सङ्कलन। (24) जगदीश प्रसाद मण्डलक काव्य संसार (अनुसन्धान विश्लेषण, 2022), (25) अन्तर्ध्वनि (कथा संचयन, 2023), 26. झुकाउक परीक्षण (अनुसन्धानात्मक संकलन एवम् विश्लेषण, 2023)
संस्थापक: पल्लवी प्रकाशन, निर्मली (सुपौल), योगदान: प्रसिद्ध साहित्यकार श्री जगदीश प्रसाद मण्डलक 10 दर्जन पोथीक मुद्रण एवम प्रकाशनक अलावे अनेको अन्य रचनाकारक सात दर्जनसँ ऊपर ग्रन्थक अक्षर संयोजन अवैतनिक। ‘सगर राति दीप जरय’क 80म, 88म, 100म (शतांक) आ 107म गोष्ठीक संयोजनक अलावे ठाम-ठाम मैथिली पोथी-प्रदर्शनी आ दर्जनो परिचर्चा-संगोष्ठीक आयोजन। सम्मान/पुरस्कार: (1) विदेह युवा पुरस्कार (2013 इस्वीमे, निश्तुकी पद्य संग्रह लेल), (2) सहयोग पुरस्कार (2021 इस्वीमे, शकुन्तला-भुवनेश्वरी मैथिली-संस्कृत सम्वर्द्धन न्यास- हैदरावाद द्वारा, मैथिलीमे प्रकाशन कार्य हेतु) तथा (3) लोकचिन्तन विशिष्ठ सेवा सम्मान- 2022 (लोकचिन्तन मासिक हिन्दी समाचार पत्रिका: सम्पादक मण्डल द्वारा)
स्थायी पता: ग्राम+पोस्ट- बेरमा, वार्ड नं.: 03, भाया- तमुरिया, जिला- मधुबनी, बिहार। वर्तमान पता: तुलसी भवन, नेहरू मार्ग, वार्ड नं. 06, निर्मली, जिला- सुपौल, बिहार- 847452।